दंडी यात्रा

नोना लागी गांधी जेल गेल सखी, नोना लागी
आगु गांधी दंडीधारी पीछु-पछु नर-नारी
भारत माताक जय करी देल
भात रोटी आर तियन नोना बिना सूना
से नोना विदेशी लाय गेल
घेरी लेल लाठीधारी भुइयाँ पड़े नर-नारी
लहू से धरती भरी गेल
भवप्रीता कहे सार, देशें भेल हाहाकार
हरि जे विपत्ति हरि लेल।

By shayar

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *